dcsimg

सिङ्ही ( Maithili )

provided by wikipedia emerging_languages

सिङ्ही जकरा अङ्ग्रेजी भाषामे सामान्यतया एसियन स्टिङ्गिङ क्याटफिस या फोसिल क्याट कहल जाएत अछि। ई माछक वैज्ञानिक नाम अङ्ग्रेजी: Heteropneustes Fossilis छी। क्याटफिस परिवारक ई प्रजाति भारत, नेपाल, बङ्गलादेश, पाकिस्तान, श्रीलंका, थाइल्याण्ड, म्यानमारभुटानमे पाओल जाएत अछि। भारतक केरल राज्यमे ई माछकेँ 'कडू' या 'कर्री' कहल जाएत अछि तँ आसाममे एकरा स्थानीयसभ 'सिङ्ही' कहैत अछि। बङ्गलादेशमे ई माछकेँ बङ्गला भाषामे 'सिङ्ही माछ' आ श्रीलंकामे एकरा सिन्हाला भाषामे 'हुङ्गा' कहैत अछि।[१][२]

कारी रङ्गक सिङ्ही माछक डङ्क बहुत प्रभावशाली होएत अछि मुदा विषालु नै होएत अछि। ई माछक डङ्क मारला सँ लगभग एक घण्टा धरि विष शरीरमे चलैत रहैत अछि। ई माछ मुख्य रूप सँ पोखरि, खाई, दलदल आ खत्तामे पाओल जाएत अछि मुदा कहियो कहियो ई माछ गन्दा नदीमे सेहो भेट जाएत अछि। ई कनीक नुनगर आ गन्दा पानि सहन करि सकैत अछि। ई माछ सर्वभक्षी होएत अछि। ई प्रजाति मनसुनक महिनाक समयमे सीमित पानिमे प्रजनन करैत अछि मुदा पर्याप्त वर्षाक कारण पानि जमा भऽ गेला पर पोखरि, छोट खाईसभमे प्रजनन करि सकैत अछि। एकर औषधीय महत्वक कारण एकर बजारमे बहुत माङ्ग अछि।

विवरण

सन्दर्भ सामग्रीसभ

बाह्य जडीसभ

license
cc-by-sa-3.0
copyright
Wikipedia authors and editors

सिङ्ही: Brief Summary ( Maithili )

provided by wikipedia emerging_languages

सिङ्ही जकरा अङ्ग्रेजी भाषामे सामान्यतया एसियन स्टिङ्गिङ क्याटफिस या फोसिल क्याट कहल जाएत अछि। ई माछक वैज्ञानिक नाम अङ्ग्रेजी: Heteropneustes Fossilis छी। क्याटफिस परिवारक ई प्रजाति भारत, नेपाल, बङ्गलादेश, पाकिस्तान, श्रीलंका, थाइल्याण्ड, म्यानमारभुटानमे पाओल जाएत अछि। भारतक केरल राज्यमे ई माछकेँ 'कडू' या 'कर्री' कहल जाएत अछि तँ आसाममे एकरा स्थानीयसभ 'सिङ्ही' कहैत अछि। बङ्गलादेशमे ई माछकेँ बङ्गला भाषामे 'सिङ्ही माछ' आ श्रीलंकामे एकरा सिन्हाला भाषामे 'हुङ्गा' कहैत अछि।